नानाजी देशमुख, भूपेन हाजारिका आ प्रणब मुखर्जीकेँ भारत रत्न सम्मान

0
368

दिल्ली-मिथिला मिररः 70म गणतंत्र दिवसक पूर्व संध्या पर केन्द्रीय गृह मंत्रालय देशक सर्वोच्च नागरिक सम्मानक संग-संग पद्मपुरस्कारक घोषणा सेहो कए देलक। एहि बरख भारत रत्न सम्मान तीन गोट व्यक्तिकेँ देल गेलनि अछि जाहिमे दू गोटेकेँ मरनोपरांततथा पूर्व राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जीकेँ भारत रत्न द’ राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधन सकरार एकटा स्वस्थ्य संवाद देलक अछि। भारतीयजनता पार्टीक संस्थापक सदस्यमे सँ एक नानाजी देशमुख, असमिया संगीतक भीष्म भूपेन हजारिका तथा पूर्व राष्ट्रपति प्रणबमुखर्जीकेँ संयुक्त रूपसँ सर्वोच्च नागरिक देल गेलनि अछि।

भारत सरकारक एहि निर्णय पर खुशी प्रकट करैत प्रणब मुखर्जी कहला जे ई सम्मान पाबि अह्लादित छी आ देशक जनताकेभारतक प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी प्रणब दाकेँ फोन कऽ हुनका बधाई देलनि त’ कांग्रेस अध्यक्ष राहुल गांधी सेहो फोन पर हुनकाबधाई देलखिन हालांकि चुनावसँ ठीक पूर्व प्रणब मुखर्जीकेँ ई सम्मान देला पर राजनीति सेहो हैब स्वभाविक बुझना जा रहलअछि।मुदा राजनीति सँ इतर जँ एकरा साफ दृष्टि सँ देखल जाए तँ ई एकटा सार्थक विमर्शक विषय भ’ सकैत अछि। कारण जखनप्रधानमंत्री पद सँ हटलाक बाद दस साल धरि यूपीएक सरकार छल तँ अटल बिहारी वाजपेयाीकेँ ई सम्मान नहि देल गेल छलनि।मुदा एनडीए सरकार प्रणब दाकेँ सम्मान द’ एकटा स्वस्थ्य परिपाटीक शुरूआत अवश्य केलक अछि। चाहे एहिमे राजनीतिक मंशाहो वा नैँ हो।