लोकतंत्रमे सुंदर चेहरासँ वोट नै भेटैत छैक : विनोद नारायण झा

0
1010

पटना, मिथिला मिरर:  बिहारमे नेता सभकेँ विवादित बयान देबाक सिलसिला लगातार चलि रहल अछि। ई रुकी नै रहल अछि एककेँ बाद एक विवादित बयान आबि रहल अछि। एहि कड़ीमे नव निर्वाचित कांग्रेस पार्टिक महासचिव ​प्रियंका गाँधी पर विवादित बयान द’ बिहार सरकारक मंत्री विनोद नारायण झा आलोचनाक शिकार भ’ रहल छथि। हुनकर विवादित बयानकेँ ल’ बिहारमे सियासत तेज भ’ गेल अछि। खास क’ राजद आ काँग्रेस पूर्ण तरहें मंत्री आ सरकार पर हमलावर बनल अछि। मंत्री विनोद नारायण झाक बयानकेँ नेता सभ घटिया आ ओछ मानसिकता कहि रहल अछि। हालाँकि जदयू सेहो अपन मंत्रीक एहि तरहक बयानकेँ निंदा केलक अछि। दरअसल मंत्री विनोद नारायण झा कालिह पटनामे मीडियासँ बात करैत विवादित बयान देलनि। ओ प्रियंका गाँधीके नौसिखुआ बतबैत कहलाह जे सुंदर चेहरा पर वोट नै भेटैत छैक। काँग्रेस मात्र वोट लेल सुंदर चेहरा उतारलक अछि। एहि बयानक बाद बिहारमे सियासत गरमा गेल अछि।

बिहार काँग्रेसक कार्यकारी अध्‍यक्ष कौकब कादरी मंत्री द्वारा प्रियंका गाँधी पर देल गेल बयान पर निंदा करैत कहलाह जे ई मंत्रिक दूषित सोच आ महिलाकेँ प्रति अनादरक भाव देखबैत अछि। संगे कहलाह जे बीजेपी बेटीक अपमान करब बंद करय आ हुनक सम्मान आ मानव मूल्यक सम्मान केनाइ कांग्रेस पार्टीसँ सिखैथ। ओतहि काँग्रेस पार्टिक राष्ट्रीय प्रवक्ता आ विधान पार्षद प्रेमचंद मिश्रा सरकारसँ माँग कएलनि जे तत्काल मंत्रीकेँ बर्खास्त कएल जाय वा हुनका सुरक्षा बढ़ाओल जै किएक त’ काँग्रेसी कार्यकर्तामे एहि बयानसँ आक्रोश अछि।

काँग्रेस विधायक भावना झा एहि मामला पर कहलिह जे मंत्रीक बयान हुनक घटिया सोचकेँ दर्शाबैत अछि, यैह कारण छल जे बेनीपट्टीसँ हुनका एकटा महिला नेत्री चुनावमे हरा देलक। हुनका क्षेत्रक विकाससँ कोनो लेना देना नै छनि।  दोसर दिस महागठबंधनक नेता सेहो हमलावर भेल छथि। नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव कहलनि जे मंत्री द्वारा प्रियंका गाँधी पर देल गेल बयान निंदनीय अछि एकरा लेल माँफी मँगबाक चाही। जँ मंत्री माफी नै माँगता त’  मंत्रीक खिलाफ पार्टी सड़क पर पर्दर्शन करत। ओतहि हिंदुस्तानी आवाम मोर्चाकेँ प्रवक्ता दानिश रिजवान कहलनि जे आखिर स्मृति ईरानीकेँ मोदी सरकार केंद्रमे किएक मंत्री बनौने अछि। रिजवान एतबे पर नै रुकलाह आ कहलनि जे भाजपामे महिला मात्र सुन्दरताकेँ कारण राखल जाइत अछि। आब देखबाक बात ई अछि जे मंत्री माँफी मँगैत छथि की नहि। की नीतीश सरकार मंत्री पर कोनो तरहक सख्त कदम उठेताह आ अपना मंत्री परिषदस निष्कासित करताह।