जूनक पहिल सप्ताहसँ शुरू भ’ सकैत अछि दरभंगासँ उड़ान

0
1357

दरभंगा, मिथिला मिरर : मिथिलावासीक सालो पुरान सपना जे दरभंगासँ कहिया हवाई सेवा शुरू होयत, ई साकार होइत देखा रहल अछि। जल्दिये दरभंगा हवाई अड्डाक विद्यापति टर्मिनलसँ लोक उड़ान भरि सकैत छथि। एतयसँ जूनक पहिल सप्ताहमे दिल्ली, मुंबई आ बेंगलुरू लेल उड़ान सेवा शुरू होयबाक संभावना अछि। दरभंगा हवाईअड्डामे सिविल एनक्लेव बनबाक काज शुरू भ’ गेल अछि। रनवे बनेबा लेल मैटेरियल खसाओल जा चुकल अछि। एक सप्ताहकेँ भीतर रनवेकेँ दुरुस्त करबाक काज सेहो शुरू भ’ जायत।  अपने सभके मालूम होयत जे बेंगलुरूमे स्वयं स्पाइस जेट कंपनी एकटा कार्यक्रममे दरभंगासँ दिल्ली, मुंबई आ बेंगलुरू लेल उड़ान सेवा जल्दिये शुरू करत तकर होर्डिंग तक लगा देने छल। बतादी जे फिलहाल दरभंगा वायु सेना केंद्रक गेट नंबर दूकेँ बगलमे करीब 2.3 एकड़ क्षेत्रमे अस्थायी टर्मिनलक निर्माण काज जोर शोरसँ भ’ रहल अछि। शुरूआती चरणमे ओहि क्षेत्रकेँ चारु दिस पिलर लगेबाक काज भ’ रहल अछि। दोसर दिस रनवेक निर्माण लेल मैटेरियलक संग  विटमिन सेहो पहुँची गेल अछि। सिविल एनक्लेव बना रहल कंपनी एमएपीएलकेँ कर्मी दिन-राइत एक क’ काजमे लागल छथि। एक सप्ताहकेँ भीतर रनवेक काज सेहो शुरू भ’ जायत।

गेट नंबर दूसँ होयत यात्री सभक आगमन आ प्रस्थान

यात्री सभक लेल वायुसेना केंद्रक गेट नंबर दूसँ विद्यापति टर्मिनलमे प्रवेश आ निकासक व्यवस्था कएल जा रहल अछि। एहि गेटसँ प्रवेश केलाक बाद दहिना भाग गाड़ी सभक पार्किंगकेँ व्यवस्था कएल जा रहल अछि। तकरा बाद कैंटीनक बगलसँ सुरक्षा जाँच आ बोर्डिंग लेल जाय पड़त। तमाम औपचारिकताक बाद एतयसँ लो-फ्लोर बससँ यात्रिकेँ विमान धरि पहुँचाओल जायत। बतादी जे बनि रहल अस्थायी भवनकेँ बाहर लोकसभकेँ घूमबाक आ वायुसेना केंद्रमे प्रवेश करबाक आजादी नै भेटतनि। अखन दरभंगा एयरपोर्टमे एक संगे तीनटा विमानक पार्किंगकेँ व्यवस्था रहत। हालाँकि पटनाक जयप्रकाश हवाई अड्डा पर सेहो एक संगे करीब पाँचटा हवाई जहाजकेँ पार्किंगक व्यवस्था अछि।

वर्तमानमे दरभंगा एयरपोर्ट पर पहिनेसँ बनल रनवेक ऊंचाईकेँ बढ़ाओल जायत। रनवेकेँ करीब 28 सेंटीमीटर यानी 10 इंच ऊँच कएल जायत। दरअसल रनवेकेँ बनेबामे विशेष तकनीकीक प्रयोग होइत अछि। दरभंगा हवाई अड्डाक रनवे 9 हजार फीट लंबा अछि जे पटनाक रनवेसँ 3 हजार फीट लंबा अछि। जानकार कहित छथि जे दरभंगाक रनवे फाइटर प्लेनकेँ संग बोईंग विमान उतरबाक लेल पूर्ण तरहें उपयुक्त अछि। राज्य योजना परिषदक सदस्य संजय झा कहलनि जे आबय वला समयमे पटनाक बाद दरभंगा बिहारक महत्वपूर्ण शहर बनत।