गैस सिलेंडर फटला सं घरक सब सामान जरि कए खाक

    0
    260

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगाक साहसुपन मोहल्लामे बुधदिन साँझ एकटा घरमे गैस सिलेंडर फटला सं आगि लागि गेल। लोक आगि पर काबू पेबाक कोशिश केलक मुदा ता धरि आगि समुच्च घरकें अपना चपेटमे लए लेलक।

    साहसुपन मोहल्लाक एकटा घरमे सिलेंडर फटला सं जोरदार धमाकाक बाद समुच्चा घरमे आगि पकड़ि लेलक। लोक सब नालाक पानि सं आगि मिझएबाक कोशिश केलक, मुदा आगि समुच्चा घर पसरि गेल। बादमे मौका पर पहुंचल फायर ब्रिगेड स्थानीय लोकक मददि सं काफी मशक्कतके बाद आगि पर काबू केलक।

    अहि आगिजनीमे घरक सब सामान जरिकय ख़ाक भए गेल। अहि घटनाक बाद स्थानीय वार्ड पार्षद पीड़ित परिवारकें उचित मुआवजा दियेबाक मांग केलनि।