वैशाली सुपरफास्ट ट्रेन दुर्घटना होई स बाल-बाल बचल

    0
    285

    समस्तीपुर, समस्तीपुर रेलवे स्टेशन स खुजलाक तुरंत बाद बरौनी स नई दिल्ली जा रहल ‘वैशाली सुपरफास्ट’ ट्रेन अचानक डिरेल भय गेल। संजोग छल जे ट्रेन तेज रफ़्तार मे नहि छल, नहि  त कोनो पैघ घटना संभव छल। फर्स्ट एसी के A2 बोगी पटरी स उतरितहि जोरक आवाज संग ट्रेन मे तेज कम्पन भेल, जाहि स यात्री मे अफरातफरी मचि गेल।

    ओहि कोच के ऐसी मैनेजर तुरन्त चेनपुलिंग कय ट्रेन के रोकबाक प्रयास केलनि, जाहि स इमरजेंसी ब्रेक लगिते ट्रेन घिसटाईत किछु दूरक दुरी पर रुकि गेल। डीआरएम सुधांशु शर्मा समेत रेलवेक अधिकारी मौका पर पहुंच कय राहत कार्य मे जुटि गेलाह। 10:35 मिनट स ट्रेन एतहि रुकल रहल, जकरा लगभग डेढ़ घंटा बाद नई दिल्लीक लेल रवाना कायल गेल।

    घटना कोन कारने भेल तकर जांचक आदेश समस्तीपुर रेलमंडलक डीआरएम शुधांशु शर्मा देलनि अछि।शर्मा कहलनि जे, डिरेल भेल बोगी के जल्दिये हटा लेल जायत।