अखिल भारतीय डाक कर्मचारी संघ’क द्विवार्षिक अधिवेशन संपन्न

    0
    270

    दरभंगा, मिथिला मिरर: लहेरियासराय स्थित प्रधान डाकघरमे रविदिन अखिल भारतीय डाक कर्मचारी संघ ग्रुप सी’क सातम द्विवार्षिक अधिवेशन सम्पन्न भेल। सम्मेलनकें दौरान अगिला सत्रक लेल पदाधिकारीक चयन कएल गेल। जाहिमे मदन प्रसाद रायकें संघक अध्यक्ष, राजू झा उगनाकें सचिव व नागेश्वर महतोकें कोषाध्यक्ष मनोनीत कएल गेल। अधिवेशनक उदघाटन करैत भाकपाक जिलाध्यक्ष राम कुमार झा मजदूरक समस्या पर प्रकाश दैत केंद्र सरकारक आर्थिक नीति पर प्रहार केलनि।

    ओतहि संघक सर्किल सचिव उपेन्द्र कुमार तिवारी डाक कर्मचारिक समस्या पर प्रकाश देलनि। मौका पर वक्ता सबकें संबोधित करैत कहलनि जे, डाक विभाग व्यापक बदलावक दौर सं गुजरि रहल अछि। विभागीय डाकघर कम्प्यूटराईज भय गेल। अहि सं सहायक संवर्ग पर काफी दबाब पड़ल अछि। ओ कहलनि जे, अहि पदकें तकनीकी पद घोषित कय उच्चतम वेतनमान प्रदान करबाक चाही।

    मौका पर लोक सब विभागक संघर्ष, बर्तमान स्थिति प्रशासनिक संबंध पर प्रकाश देलनि। अहि अवसर पर संजय कुमार वर्मा अप्पन विचार व्यक्त केलनि। अहि सं पूर्व सचिव राजू झा उगना आगत-अतिथिक स्वागत केलनि। धन्यवाद ज्ञापन अशोक कुमार देलनि। मौका पर समीर कुमार राय, सौहेल अख्तर, बिपिन दास, उग्रेश सिंह, भवानंद झा, हीरामन पासवान आदि मौजूद छलाह।