देशभक्ति नारा पर स्कूल मे रोक लगेलक मुस्लिम प्रिंसपल, छात्रक विरोध पर मचल बवाल

    0
    261

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर जिलाक मोतीपुर प्रखंड अंतर्गत बरुराज गामक हाई स्कूल के प्रिंसिपल समीम अहमद द्वारा जय हिन्द, जय भारत, वन्दे मातरम् एहेन देश भक्ति नारा पर प्रतिबंध लगा देल गेल। एतबे नहि, छात्र द्वारा अहि रोक के विरोध करबा पर प्रिंसिपल बाहरी लड़का स स्कूलक छात्र के पिटबा देलक। जाहि मे 11 टा छात्र जख्मी भय गेल।

    घटना के बाद आक्रोशित ग्रामीण मारिपीट करय वला युवकक गिरफ्तारीक मांग के लय थाना के घेराव केलनि। सूचना भेटलाक बाद एसडीओ पश्चिमी रंजीता, डीएसपी पश्चिमी अजय कुमार, जिला शिक्षा पदाधिकारी एसएन कंठ, मोतीपुर पुलिस इंस्पेक्टर वेदानंद मिश्राक संग मोतीपुर, कथैया तथा कांटी थाना के पुलिस मौका पर पहुंचल।

    उग्र लोक के समझा कय शांत कराओल गेल। घायल छात्र के बयान पर केस दर्ज कय आरोपी के गिरफ्तारीक लेल छापेमारी कायल जा रहल अछि।