गिरिराज सिंह’क विवादित बयान, किशनगंज के कहलनि पाकिस्तान

    0
    260

    पटना, मिथिला मिरर: केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह एक बेर फेर अप्पन विवादित बयान के लय क चर्चा मे छथि। जानकारी के अनुसार बुधदिन गिरिराज सिंह कहलनि जे, लगैत अछि बिहारक किशनगंज जिला भारत मे नहि पाकिस्तान मे अछि। गिरिराज सिंह किशनगंज के खगड़ा कालू चैक के समीप सरकारी भूमि पर मंदिर निर्माण पर प्रशासन द्वारा रोक लगेलाक बाद अप्पन प्रतिक्रिया देने छलाह।

    ओ कहलनि जे, दुर्गा पूजा स लय क मुहर्रम तक नौ जिला मे हिन्दू समाज पर अत्याचार बढ़ल अछि।प्रशासन एकतरफा कार्रवाई कय रहल अछि। जिला प्रशासन के ई बतेबाक चाही जे, कोन-कोन हिन्दू-मुस्लिम धर्म स्थल सरकारी जमीन पर बनल अछि।

    गिरिराज सिंह कहलनि जे, राज्य सरकार आ प्रशासनक कोशिश अछि जे किशनगंज जिला स हिन्दुक संख्या कम भय जाय। गिरिराज कहलनि जे, किशनगंज मे मंदिर निर्माण घटनाक्रम मे जतेक निर्दोष लोक गिरफ्तार कायल गेल अछि ओकरा जल्दी रिहा कायल जाय।