अहि 82 गोट दलित छात्रक गुनहगार के?

    0
    305

    मधुबनी, मिथिला मिरर: ओना त समुच्चा भारतक बच्चा देश आ दुनिया मे नाम रौशन कय रहल छथि, जे, नीक शिक्षक बदौलत संभव होईत रहल अछि। मुदा दोसर दिस कतेको बच्चा एहनो अछि जे, आसमानक नीचां बईस कय पढ़बा लेल मजबूर अछि। आजादीक 69 साल बादो बच्चा आसमानक नीचां पढ़बाक लेल मजबूर अछि, तकर जिम्मेदार के?

    बिहारक मधुबनी जिलाक बासोपट्टी प्रखंडक इजोत गाम स्थित प्राथमिक स्कूल राज्य सरकारक विकास के दावाक पोल खोलि रहल अछि। एतबे नहि अहि स्कूल मे पढ़य बला जाहि छात्र सबहक संग एहेन बर्ताव होईत अछि, या त ओ दलित अछि या महादलित।

    साल मे दू महिना बरसातक कारने अहि स्कूल मे पढ़ाई ठप रहैत अछि। स्कूल मे 82 टा छात्रक बीच मात्र एक टा शिक्षक अछि। एतबे नहि अहि स्कूलक समीप कोनो बिल्डिंग नहि अछि, जाहि कारने बच्चा के आसमानक निचां पढ़य पड़ैत अछि। पिछला आठ साल स ई स्कूल अहिना चलैत अछि।