कांग्रेसमे शामिल भेलाक बाद आए पहिल बेर दरभंगा ऐतीह पूनम आजाद

    0
    277

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: भाजपा सं अपन पुरान घर काँग्रेसमे वापस एलाक बाद पहिल बेर सांसद कीर्ति आजादक कनियाँ पूनम झा शनिदिन बलभद्रपुर स्थित काँग्रेस कार्यालयमे जिला काँग्रेस कमिटीक पदाधिकारी सं भेंट कए अपन विचार रखतीह। उपरोक्त जानकारी दैत कांग्रेस प्रवक्ता मो0 असलम कहलनि जे, अहि अवसर पर जिला काँग्रेस कमिटीक पदाधिकारी आज़ादकें सम्मानित करत।

    ई निर्णय जिला कांग्रेस कार्यालयमे जिलाध्यक्ष सीताराम चौधरीक अध्यक्षतामे आयोजित एकटा बैसकमे लेल गेल। बैसकमे काँग्रेसक जिला उपाध्यक्ष सह प्रवक्ता मो0 असलमके अलावा महासचिव शुशील कुमार सिंह, परमानंद झा, गोविन्द झा, हशमत अली, महादेव पासवान आदिं नेता उपस्थित छलाह।