बेटीक बियाहमे गाछ लगेबाक संदेश देलनि भाजपा प्रदेश अध्यक्ष नित्यानंद राय

    0
    258

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशान झा: भारतीय जनता पार्टीक प्रदेश अध्यक्ष नित्यानंद राय दरभंगामे बीएमपी 13मे वृक्षारोपण केलनि। भाजपा अध्यक्ष शुक्रदिन भाजपा जिला अध्यक्ष हरी सहनीक पुत्रीकें बियाहमे एतय पहुँचल छलाह। ओ वृक्षारोपणक बाद कहलनि जे, अहि श्रृष्टीमे भगवान द्वारा मनुष्यकें पठाओल गेल अछि। जकरा पर पृथ्वीक रक्षाक दायित्व देल गेल अछि।

    ओ कहलनि जे, भारतीयके दिलमे देशक रक्षाक अंग श्रृष्टीक रक्षाक सोच सेहो हेबाक चाही। वृक्ष अहि पृथ्वीक रक्षाक एक मात्र साधन अछि। सब कन्याक बियाहके समय एकटा वृक्ष जरूर लगेबाक चाही। अहि अवसर पर प्रदेश महामंत्री सुशील चौधरी, जिलाध्यक्ष हरी सहनी, जिला प्रभारी राम कुमार, पूर्व विधायक अशोक यादव, आदित्य नारायण मन्ना, अमलेश कुमार झा, सचिन जैन, अशोक नायक आदि मौजू छलाह।