हरिनगर-सकरी रेलखंड पर ट्रेन परिचालन शुरू करबाक लेल देलनि धरना

0
400

दरभंगा, मिथिला मिरर : हरिनगर-सकरी रेलखंड पर ट्रेनक परिचालन शुरू करेबाक लेल  बिरौल विकास युवा मोर्चाक अध्यक्ष कौशल बिरौलियाकेँ नेतृत्वमे बिरौल रेलवे स्टेशन पर एक दिवसीय धरना देल गेल। धरनाकेँ संबोधित करैत राजेश सिंह कहलाह जे रेलक परिचालन किनको निजी स्वार्थक कारण अवरुद्ध कएल गेल अछि। बिरौल अनुमंडल क्षेत्रक लगभग ढाई लाख आबादीकेँ एहि रेलखंडसँ लाभ भेट रहल छलनि। अचानक 16 अगस्तसँ जगदम्बा हॉल्टक माँगकेँ कारण रेल परिचालन बंद क’ देल गेल। आम जनताक परेशानीकेँ देखैत  हमसभ भारत सरकारक रेल मंत्री पीयूष गोयलसँ माँग करैत छि जे एहि रेलखंड पर रेलक  परिचालन अविलंब शुरू करवाओल जाय। नहि त’ एहि क्षेत्रक जनता उग्र आंदोलन करबाक लेल बाध्य भ’ जायत। बिरौल विकास युवा मोर्चाक अध्यक्ष कौशल बिरौलिया कहैत छथि जे  एहि रेलखंड पर रेलक परिचालन बंद भेला पर एतयकेँ स्थानीय दुकानदार सभकेँ रोजी रोटी पर असर पड़ी रहल छनि। धरनार्थी सभ कहैत छथि जे बहूत यात्री सभकेँ पता नै छनि जे एहि रेलखंड पर रेलक परिचालन पछिला कतेको दिनसँ बंद अछि। एतय दूर दूराजसँ आओल अनजान यात्री सभ निराश भ’ लौट जायत छथि। धरनामे सौरभ कुंवर, सचिव विकास रंजन, गोपाल चौधरी, श्रवण कमती, सुमनजी आचार्य सहित दर्जनों लोक मौजूद छलाह।