जीतनराम मांझी केँ बदलनि सुर, चिराग केँ कहलनि घरक बच्चा, त’ रामविलास छथि दलितक बड़का नेता

0
590

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे आगामी चुनाव केँ ल’ सभ पार्टी तैयारी मे जुटल अछि। राजनीतिक आरोप-प्रत्यारोपक दौर सेहो तेज भेल जा रहल अछि। हालही महागठबंधन सँ एकबेर  फेर एनडीएक हिस्सा बनल हम केँ अध्यक्ष जीतनराम मांझी केँ तेवर मे किछु नरमी देखना जा रहल अछि। किछु दिन पूर्व धरि चिराग पासवान पर हमला क’ रहल मांझी केँ सुर बदलल-बदलल लागी रहल अछि। नीतीश प्रेम मे डूबल मांझीक नैया आब एकटा किनार मे पहुँचैत लगैत अछि। कालिह तक जिनका प्रति तिखगर सवाल पूछल जा रहल छल अचानक भाव मे बदलाव किछु इशारा जरूर करैत अछि।

दरअसल मांझी लोकजनशक्ति पार्टीक संस्‍थापक और केंद्रीय मंत्री राम विलास पासवान केँ एकटा कार्यक्रम केँ दौरान दलितक बड़का नेता कहि संबोधित कएलनि संगे चिराग केँ घरक बच्चा कहि विवाद केँ समाप्त करबाक इशारा देलनि। ओही कार्यक्रम मे मांझी कहलनि राजनीतिक मतभेद भ’ सकैत अछि मुदा हुनका संग पारिवारिक संबंध अछि ओ कोना छोड़ी भ’ सकैत अछि। सियासी पंडित लोकनि एही केँ नीतीश-नड्डा केँ बीच भेल भेंटवार्ता केँ परिणाम मानी रहल छथि।

बतादी जे हालहीं प्रधानमंत्री केँ तीनटा वर्चुअल रैली भेल जाहि मे स्पस्ट संदेश देल गेल जे लोजपा एनडीएक प्रमुख घटक अछि आ आगामी चुनाव मे ओ संगे चुनाव लड़्त। राजनीतिक गलियार सँ एहन खबरि सेहो भेट रहल अछि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार चिराग केँ कोनो सवाल पर जबाब देबाक लेल मना कएलनि अछि। आब एकरा राजनीतिक मजबूरी बुझी वा प्रेशर पॉलिटिक्स ई त’ आबय वला समय बताओत। ओना आब एनडीए मे सभ ठीक भ’ जायत एहन उम्मीद कएल जा रहल अछि।

बतादी जे नड्डा आ नीतीश कुमारक भेंटवार्ता मे चिराग पासवान पर सेहो गप भेल छल आ  भाजपा केँ शीर्ष नेतृत्व ओही मामला केँ सुलझा लेबाक बात कहने छल। दोसर दिस चिराग ई कहि मामला केँ सुलझेबाक इशारा क’ द एने छथि जाहि मुख्यमंत्री संग हुनका कोनो मतभेद नहि अछि।