एमसीडी चुनाव: 27 गोट उम्मीदवारक पहिल सूची जारी केलक ‘जदयू’

    0
    266

    दिल्ली, मिथिला मिरर: दिल्ली नगर निगम चुनावक लेल बृहस्पति दिन ‘जनता दल यूनाइटेड पार्टी’ 27 गोट उम्मीदवारक अप्पन पहिल सूची जारी केलक अछि। पार्टी दिस सं जारी अहि 27 गोट उम्मीदवारक सूचीमे 15 टा महिला उम्मीदवारकें शामिल कएल गेल अछि।

    उम्मीदवारक सूचीमे गोपालगंजक मूल निवासी शिखा साह वर्तमानमे वार्ड पार्षद छथि, जहन कि अंतर्राष्ट्रीय स्तरकें कुस्ती खिलाड़ी रजिया बानोकें सेहो अहि सूचीमे शामिल कएल गेल अछि। जदयूकें राष्ट्रीय महासचिव सह दिल्लीक प्रभारी संजय झा कहलनि जे, जल्दिये दोसर सूची जारी कएल जाएत।