होमगार्ड जवान कें पीट-पीट कऽ कैल गेल हत्या

    0
    383

    मधुबनी,मिथिला मिरर ब्यूरो चीफ-पारस ठाकुरः मधुबनी जिलाक सकरी थाना क्षेत्रक विक्रमपुर बलिया मे एकटा होमगार्ड के पीट-पीट कऽ मारि देलक। घटना कें बाद ओहि लाश कें गांव के चैड़ीमे फेक देलक। लाशक पहचान पंडौल प्रखंड के सिसौना गामक रहनिहार उपेन्द्र झाक बेटा दिलीप झा’क रूप मे कैल गेल। हुनका पर कथित रूप सँ चोरी के आरोप छल। एहि मामला मे गांव के दिपू पासवान सकरी थाना मे केस केलैन्ह अइछ। ओहि केस में दीपू लिखौलाह कि बुधक राइत विक्रमपुर सँ हुनक घर सँ गाय चोरा क ला जा रहल छेलाह। तखने हुनका नींद खु्ललैन्ह त दिलीप झा हुनका संग मैरपीट करय लगलाह। इ देखि दीपू कें कनिया आ बच्चा शोर मचेनाय शुरू केलक।
    शोरगुल कंे आवाज सुइन गाम घरक लोकेन एक जूट भऽ मारैत-मारैत दिलीप झा के माइर देलक। गाम घरक स्त्रीगण पुलिस कें कहलक कि किछु दिन सं लगातार चोरी कें घटना बढि़ गेल अइछ। इ घटना लगा गाम सं आधा दर्जन सं अधिक गाय कें चोरी भ चुकल अहि। थानाध्यक्ष संजय झा कहलैन कि घटना कें जाँच कायल जा रहल अइछ। लाश के पोस्टमार्टम करवाकर वास्ते सदर अस्पताल मधुबनी भेज देल गेल अइछ। ओन एखनतक मृतकक परिजन के दीस सं एफआईआर करवाक लेल कोनो आवेदन नहि आयल अइछ।