दरभंगा मे शौच करबाक लेल निकलल लड़कीक संग दुष्कर्मक प्रयास

    0
    440

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगाक सकतपुर थाना क्षेत्र के मदरीया गाम मे शनिदिन राति अप्पन घर सं बाहर शौच करबाक लेल निकलल एकटा लड़कीक ओहि गामक सिकंदर कामती नामक लड़का जबरन बलात्कार करबाक प्रयास केलक। लड़की हल्ला कय लड़काक के हाथ पर दांत स काटि अप्पन जान छोड़ौलक तथा मौका पर मौजूद लोक के घटना सं अवगत करौलक।

    लड़की के हल्ला तथा दांत कटलाक बाद लङका भागि गेल। मौका पर पहुँचल पुलिस स्थितिक जानकारी लय लड़कीक बयान पर उक्त युवकक खिलाफ रेपक मामला दर्ज केलक अछि। ई सूचना थानाध्यक्ष रमेश कुमार शर्मा देलनि।