शराबक बाद गुटका आ तंबाकूक खिलाफ अभियानक तैयारीमे राज्य सरकार

    0
    297

    दिल्ली,मिथिला मिरर-निशांत कुमार झाः बिहार सरकार द्वारा बिहारमे पूर्ण शराबबंदी बाद आब राज्य सरकार गुटका आ तंबाकू युक्त पान मशालाक भंडारणक विरूद्ध विशेष अभियान चलेवाक दिस सोचि रहल अछि। बृहस्पतिदिन राज्सक मुख्य सचिव अंजनी कुमार सिंहक नेतृत्वमे सूबेमे तंबाकू उत्पादन कें रोकवाक लेल राज्य नीति तैयार करवाक लेल एकटा बैसार कैल गेल। अहि बैसारमे अहि बात पर जोर देल गेल जे दू मासक बाद तंबाकूू युक्त पान मशाला सहित अन्य तंबाकू युक्त गुटका आ अन्य सामीग्रिक बिक्री रोकवाक लेल सघन तलाशी अभियान चलाओल जायत।
    बैसारमे राज्य डीजीपी पी.के.ठाकुर, विकास आयुक्त शिशिर सिन्हा, राज्य स्वास्थ्य समितिक निर्देशक जितेंद्र श्रीवास्तव सहित अन्यक उपस्थिति छल। युवा वर्ग लोकनिकें गुटका आ पान माशालाक सेवन सं कोनो बचाओल जाय अहि विषय पर सेहो गहन चर्च कैल गेल। संगहि बैसार मे अहि बात पर सेहो चर्चा कैल गेल जे स्कूलमे शिक्षक लोकनि पर सेहो निगरानी कैल जायत कारण जौं बच्चा स्कूलमे अपना शिक्षककें तंबाकूक सेवन करैत देखत त ओहो ठाम सं ओकरा अहि दिस जेवाक प्रेरणा भेटतै।
    एतबे नहि सरकार स्कूल स्तरर पर सेहो मास्टर लोकनिक सहयोग लय अहि कुरीति कें रोकवाक लेल पहल करत। हालांकि इ कोनो पहिल बेर नहि छी जे राज्यमे तंबाकूक उत्पादन, भंडारण आ ओकर बिक्री पर रोक लागल हो। अगर अहि बेर राज्य सरकार ओकरा समूचित लागू आ सफल बनेवामे सफल रहैत छथि त इ एकटा पैघ उपल्बधि कहल जायत नहि त एक बेर फेर सं इ नीतीश कुमारक पब्लिसिटीक हथकंडा बनि बिहारक जनताक सोंझा आयत। आब भविष्यमे सरकार की नीति हेतैक ओकरा लेल त किछु समय प्रतिक्षा करय पड़त।