दरभंगा मे एनएसयूआई आ एबीवीपी के बीच खूनी संघर्ष

    0
    278

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत कुमार झा: मारवाड़ी कॉलेज परिसर मे एनएसयूआई के पूर्व निर्धारित सदस्यता अभियानक दौरान एबीवीपी के छात्र नेता द्वारा मारिपीट करबाक आरोप एनएसयूआई द्वारा लगाओल गेल। बताओल जा रहल अछि जे, दरभंगा जिला कांग्रेस कमिटी के महासचिव पिंकू गिरी के एबीवीपी के रजनीश कुमार सहित 20-25 लोक मिली कय बेरहमी स मारलक अछि।

    प्रत्यक्षदर्शिक अनुसार कॉलेज के बाहर सदस्यता अभियानक दौरान एनएसयूआई के सदस्यता लेबाक कारने एकटा छात्र के किछु एबीवीपी कार्यकर्ता पिटी रहल छल। बताओल जा रहल अछि जे, अहि घटनाक आधा घंटा बाद करीब 20-25 के संख्या मे एबीवीपी कार्यकर्ता डंडा आ धारदार हथियारक संग कॉलेज पहुँचि कय पिंकू गिरी पर हमला कय देलक।

    एनएसयूआई के ज्ञानेंद्र झा कहलनि जे, एबीवीपी के सदस्य पिंकू गिरी के टा धरि मारलक जा धरि ओ अचेत नहि भय गेल। गंभीर हालत मे पिंकू के डीएमसीएच के आपातकालीन विभाग मे भर्ती कराओल गेल अछि जतय डॉक्टर पिंकू गिरीक हालत नाजुक बता रहल अछि। सूत्रक अनुसार पुलिस डीएमसीएच पहुँचि कय मामलाक जांच कय रहल अछि।