जदयू नेता’क घर सं शराब बरामद, गिरफ्तारीक विरोध मे ग्रामीणक प्रदर्शन

    0
    266

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के शराबबंदी कानूनक शिकार स्वं नीतीश कुमारक पार्टी के एकटा नेता के होबय पड़ल अछि। मामला मुख्यमंत्री के गृह प्रखंड हरनौत स जुड़ल अछि।

    हरनौत के जदयू प्रखंड अध्यक्ष इंद्रजीत सेन के घर पर गुप्त सूचनाक आधार पर उत्पाद विभागक अधिकारी छापेमारी केलक। छापेमारीक दौरान इंद्रजीत के घर स 168 बोतल देशी शराब बरामद कायल गेल। उत्पाद पुलिस अहि दौरान मौका स आरोपी प्रखंड जदयू अध्यक्ष इंद्रजीत सेन के गिरफ्तार केलक अछि।

    प्रखंड जदयू अध्यक्षक गिरफ्तारी के बाद लोहरा पंचायतक सैकड़ो ग्रामीण अध्यक्ष के छोड़ेबाक लेल बिहारशरीफ स्थित उत्पाद थाना मे पहुँचि कय हंगामा करय लागल। लोक अध्यक्ष के चुनावी रंजिश मे साजिश के तहत फंसेबाक आरोप लगा रहल अछि।

    गिरफ्तार प्रखंड अध्यक्ष इंद्रजीत सेनक पत्नी मधुमिता देवी लोहरा पंचायत स मुखियाक चुनाव जीतल छली। उत्पाद विभागक अधिकारी बतौलनि जे, गुप्त सूचना भेटल छल कि इंद्रजीत सेनक भूसा घर मे देशी शराब नुकायल अछि। अहि सूचना के आधार पर छापेमारी कायल गेल जाहि मे भारी मात्रा मे शराब बरामद कायल गेल।