गया अदालतमे मनोरमा आत्म समर्पण, 14 दिनक न्यायिक हिरासतमे गेलीह जेल

    0
    283

    दिल्ली-मिथिला मिररः जनता दल यूनाइटेडक निष्कासित विधान पार्षद आ बिंदी यादवक पत्नी मनोरमा देवी मंगलदिन भोरमे गया अदालतमे आत्म समर्पण कय देलीह। जाहिठाम सं अदालत हुनका 14 दिनक न्यायिक हिरासतमे पठा देलक। गौरतलब अछि कि मनोरमा देवी पुत्र रॉकी यादव आ पति बिंदी यादव आदित्य सचवेदक हत्या आ साक्ष्य मिटेवाक जुर्ममे जेलमे बंद छथि आ मनोरमा देवीक घर सं शराब पकड़ेवाक जुर्ममे पुलिस हुनका सगरे खोजने फिरैत छल मुदा ओ निपत्ता छलीह।
    बादमे कुर्कीक डर आ गैर जमानती वारंटक कारणें हुनका अदालतमे समर्पण करय पड़लनि। हलांकि मीडिया सं बात करैत मनोरमा कहली जे हम कतौ नुकायल नहि रहि हम त कोर्ट सं अग्रिम जमानत लेवाक कोशिश कऽ रहल छलौह कारण हमरा पर कोनो एफआईआर नहि छल। संगहि मनोरमा इ कहली जे हमरा राजनीतिक साजिशक तहत फसाओल जा रहल अछि, हमरा घर सं कोनो शराबक बरामदगी नहि भेल छलैक। मीडिया द्वारा इ पूछल गेला पर कि राज्यमे त अहिक सरकार अछि, अहि पर मनोरमाक चुप्पी छलनि।