मिथिला केँ भेटल चुनावी तोहफा, मोदी कैबिनेट देलनि दरभंगा एम्स केँ मंजूरी

0
886

दिल्ली/पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनाव प्रस्तावित अछि। अगिला दू मासक भीतर विधानसभा चुनाव होयत। बिहार मे चुनाव केँ ल’ सियासी विसात बिछाओल जा रहल अछि। लोक लुभावन घोषणा सेहो भ’ रहल छैक। मुदा मंगलदिन मिथिला केँ एकटा बहुप्रतीक्षित माँग केँ केंद्र सरकार पूरा क’ चुनावी तोहफा देलक अछि। चुनाव सँ पहिने केंद्रक मोदी कैबिनेट दरभंगा एम्स केँ मंजूरी द’ देलक अछि। स्वास्थ्य केँ क्षेत्र मे ई मिलक पाथर साबित होयत।

बतादी जे एही मंजूरी केँ बाद दरभंगा मे एम्स निर्माण शुरू भ’ जायत। ई ब्बिहर मे पटना केँ बाद दोसर एम्स होयत। दरभंगा मे एम्स केँ निर्माण भ’ गेला सँ मिथिला प्रक्षेत्रक करीब 18टा जिला लाभांवित होयत। एकरा संग-संग पटना आ दिल्ली पर निर्भरता सेहो कम होयत। जहाँ धरि स्वास्थ्य सेवा केँ बात अछि त’ मिथिला क्षेत्रक एकोटा अस्पताल मे गुणवत्तापूर्ण इलाज अखनि नहि भ’ पाबी रहल अछि। वा ई कही जे स्वाथ्य व्यवस्था लचर थिक।

मालूम होयत जे दू दिन पूर्व दरभंगा मे भाजपाक राष्ट्रीय अध्यक्ष जेपी नड्डा सेहो एकर जिक्र केने छलाह। दरभंगा मे अखिल भारतीय आयुर्विज्ञान संस्थान यानि एम्स केर निर्माण लेल बीतल 25 अगस्त क’ केंद्रीय वित्त मंत्रालय 1361 करोड़ टाका केँ पहिने मंजूरी द’ देने छल। वित्त मंत्रालय आश्वासन सेहो देलक जँ अनुमानित राशी सँ बेसी खर्च होयत तकर पूर्ति सेहो करत। प्रथम रिपोर्ट केँ मुताबिक प्रस्तावित दरभंगा एम्स 750 बेडक होयत आ एकर निर्माण मे  1361 करोड़ टाका खर्च कएल जायत।

जनतब होयत जे दरभंगा मे प्रस्तावित जमीनक उपलब्धता केँ कारण मामला अटकल छल। बिहार सरकारक दिस सँ प्रस्तावित जमीनक गुणवत्ता आ रस्ता केँ सुगमता सहित तीन बिंदु पर मंत्रालयक तकनीकी कमेटी एकर स्वीकृति पर रोक लगा देने छल। तकरा बाद आनन-फानन मे सभ तकनीकी बाधा दूर क’ देल गेल अछि। आब पूर्ण तरहें एम्स निर्माणक प्रक्रिया शुरू भ’ जेबाक उम्मीद कएल जा सकैछ।