नवोदय प्रवेश परीक्षा मे मधुबनी सं शामिल भेल 2495 छात्र

    0
    301

    मधुबनी, मिथिला मिरर: नवोदय प्रवेश परीक्षा 2017’क लेल रविदिन जिला मुख्यालय स्थित छह परीक्षा केंद्र पर शांतिपूर्ण व कदाचारमुक्त परीक्षा संपन्न भेल। जानकारी के अनुसार अहि परीक्षाक लेल जिला मुख्यालय मे कुल छह परीक्षा केंद्र बनाओल गेल छल। जतय कुल 2495 छात्र परीक्षा मे शामिल भेल।

    वाट्सन हाइ स्कूल मे मधवापुर प्रखंड के 72, जयनगर के 161, बासोपट्टी के 101, लखनौर के 50 सहित कुल 348 छात्र, वाट्सन मध्य विद्यालय मे घोघरडीहा के 110 छात्र, शिवगंगा बालिका उच्च विद्यालय मे बाबूबरही के 95, खुटौना के 175 सहित कुल 270 छात्र, सूड़ी हाई स्कूल सेंटर पर रहिका के 198, पंडौल के 140, बिस्फी के 59 व अंधराठाढ़ी के 81 छात्र सहित कुल 478 छात्र शामिल भेल।

    सूड़ी मध्य विद्यालय मे झंझारपुर के 136 छात्र सम्मिलित भेल। ओतहि रीजनल सेकेंड्री स्कूल मे सर्वाधिक 1117 छात्र परीक्षा मे सम्मिलित भेल। जाहि मे हरलाखी के 119 बेनीपट्टी के 222, खजौली के 167, लदनियां के 120, राजनगर के 175, फुलपरास के 122, लौकही के 142, मधेपुर के 50 छात्र शामिल छल।