पटरी सं उतरल कैपिटल एक्सप्रेसक दू टा डिब्बा, 2 गोटेक मौत तथा 34 घायल

    0
    310

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक दानापुर सं गुवाहाटी जा रहल कैपिटल एक्सप्रेस दुर्घटनाग्रस्त भय गेल अछि। पश्चिम बंगाल के अलिपुरद्वार के शमुकटोला स्टेशन के समीप ट्रेनक दू टा कोच पटरी स उतरि गेल। घटना मे 2 गोटेक मौत तथा 34 गोटे के घायल हेबाक खबरि अछि।

    दानापुर स गुवाहाटी जा रहल कैपिटल एक्सप्रेस (13248) मंगलदिन राति अलिपुरद्वार के समीप दुर्घटानग्रस्त भय गेल। चलैत ट्रेनक दू गोट बॉगी पटरी स उतरि गेल। घटना के कारणक पता नहि चलल अछि। डीआरएम घटनास्थल पर पहुंच कय परिस्थितिक जायजा लेलनि अछि।

    हालही मे उत्तर प्रदेश मे कानपुर के समीत इंदौर स पटना जा रहल इंटौर-पटना एक्सप्रेस दुर्घटनाग्रस्त भय गेल छल। अहि घटना मे 153 गोटेक मौत भय गेल छल आ 250 स अधिक यात्री घायल भय गेल छल।