‘पाग’ मैथिल युवा कें जोड़ि ‘उद्यमिताक’ प्रचार करब हमर लक्ष्यः डॉ. बीरबल झा

    0
    345

    दिल्ली-मिथिला मिररः 28 फरवरी 2016 कऽ दिल्लीक आईटीओ स्थित राजेंद्र सभागार मे संपन्न भेल पाग बचाउ अभियानक संस्थापक आ मिथिलालोक कें चेरमैन डॉ. बीरबल झा कहलनि जे हमर लक्ष्य इ नहि अछि जे हम सं व्यवसायिक रूपे अपन घर चलाबी। मैथिलक सम्मान ओ इज्जत कें एकटा नव आयाम दैत एकरा समाजक विभिन्न वर्गक माथ पर सुशोभित करी। जखन मिथिलाक पाग कें लोक अपना सं जोड़त त ओहि सं एक-दोसराक प्रति आपसी समरसताक भाव समाजमे देखवामे आयत।

    एखन तक हम मैथिल जे कोनो कार्य केलौह ओहि मे व्यवसायिकता अर्थात (एंटरप्रेन्योरशिप) कें घोर अभाव देखल गेल अछि आ इहै कारण छैक जे हमरा सब देशक कोनो शहर मे दू-चारि, दस हजारक नौकरी मात्र तक सिमटि कय रहि जाइत छी। एकरा दुर्भाग्य कहल जाय जे समाजक कोनो समृद्ध व्यक्तित्व एखन तक मिथिला क्षेत्रक युवाकें उद्यमिता दिस बढ़ेवाक लेल प्रेरित नहि केलाह। जखन मिथिला मिरर द्वार डॉ. झा सं इ सवाल कैल जे गेल सोशल मीडिया पर विशेष किछु व्यक्ति ओ किछु संस्था द्वारा पाग बचाउ अभियान आ अहांक मंशा पर प्रश्न चिन्ह लगाओल जा रहल अछि त अहि कें जवाब दैत डाॅ झा कहला जे हम ओहि समस्त व्यक्ति कें करवद्ध प्रमाण करैत छियन्हि जे अहि आंदोलनमे कोनो प्रकारेंण अपन योगदान दय रहला अछि।

    डाॅ. झा कहला जे हम एकटा एहन व्यक्ति छी जे आलोचना कें समालोचना बुझि ओहि सं किछु नव करवाक नित-नव प्रयास करैत छी। डॉ. बीरबल झा कहला जे हम आ मिथिलालोक अहि आंदोलन कें देश-विदेशक विभिन्न मंच लाजब आ ओहिठाम सं युवा कें जोड़ैत हुनका इंटरप्रेन्योर बनवाक लेल प्रेरित कैल जायत। संस्था आगामी किछु वर्ष मे संस्था एहन कार्य करय जा रहल अछि जाहि सं मिथिला क्षेत्रक बहुतायत युवाकें उद्यमिताक क्षेत्रमे आत्मनिर्भर बनाओल जाय।