प्रधानमंत्रीक ट्वीट पर तेजस्वीक तंज, कहलनि- मात्र चुनाव धरि बिहारक बात, तकरा बाद लगा देताह कात

0
669

दिल्ली/पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनाव नजदिक अबिते एनडीए आ महागठबंधन केँ बीच ट्वीटर, पोस्टर आ शब्द बाण तेज भ’ जाइत अछि।  नेता विपक्ष तेजस्वी यादव लगातार नीतीश कुमार आ सुशील मोदी पर हमलावर रहैत छथि। ओना मंगलदिन तेजस्वीक निशाना पर नीतीश कुमार संग प्रधानमंत्री मोदी सेहो छलाह। हालही संसदक दुनू सदन सँ पास कृषि विधेयक आ राज्यसभा मे उपसभापति हरिवंश पर भेल हमला केँ बिहारक राजनीति मे उछाल देल गेल अछि। हरिवंश संग भेल घटना केँ बिहारी स्मिता सँ जोड़ी देल गेल।

ताजा मामला अछि जे मंगलदिन भोर मे जाहि 8 सांसद केँ निलंबित क’ देल गेल छल। ओही सांसद सभके चाह पियाबै लेल उपसभापति हरिवंश स्वयं गेल छलाह। हुनक एहि बातक प्रशंशा मे मोदी एकटा ट्वीट केने छलाह। तकर जवाब मे तेजस्वी तंज कसैत कहलनि अछि जे भाजपाक लोक मात्र चुनाव धरि बिहारक बात करत आ चुनाव बाद कात लगा देताह। प्रधानमंत्री सँ पूछलनि जे बिहारक एतेक चिंता अछि त’ अखनि धरि कोनो केंद्रीय टीम बाढ़ी सँ भेल नुकसानक आंकलन करबा लेल किएक नहि भेजलनि। हालाँकि सही बात ई अछि जे केंद्रीय टीम सर्वे लेल बिहार गेल छल।  पीएम केँ घेरति कहलाह जे चुनावक समय शिलान्यास आ उद्घाटन बिहारक जनता संग छलावा अछि। पहिने घोषणा कएल गेल पैकेज के पाई अखनि धरि आवंटित नहि कएल गेल। आब केँ की होयत भगवाने मालिक अछि।

जनतब दी जे राजद 25 सितंबर क’ कृषि विधेयक केँ विरोध मे राज्य बंद केँ आहवान कएलक अछि। आ पूरा राज्य मे विरोध प्रदर्शन सेहो करत।  कृषि विधेयक केँ किसान विरोधी बतबैत तेजस्वी कहलनि जे केंद्र सरकार अन्नदाता केँ फण्डदाताक हाथक कठपुतली बना रहल अछि। जतेक हड़बड़ी मे बिल पास कराओल गेल निश्चित रूप सँ एहि मे किछु झोल अछि। केंद्र आ राज्य सरकार केँ किसान आ गरीबक लेल रत्ती भरि चिंता नहि अछि।