तीन जिलाक शातिर अपराधी रोशन गिरफ्तार

    0
    273
    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: तीन जिलाक वांछित अरविंद कुमार उर्फ रोशन सिंह के मंगलदिन एसटीएफ तथा पुलिसक टीम करीब सात किमी पाछा कय सिसहनी मे गिरफ्तार केलक। अहि दौरान स्वं के घेराइत देखि ओ करीब छह राउंड फायरिंग केलक। हालांकि, फायरिंग के दौरान ककरो गोली नहि लागल। ग्रामीण के घेराबंदी’क बीच रोशन पुलिस के हाथ आयल। ग्रामीण सेहो रोशन के जमि कय पिटाई केलक। जांच के दौरान पुलिस रोशन लग सं एकटा नाइन एममए पिस्टल तथा एकटा कारतूस बरामद केलक अछि।
    बताओल जा रहल अछि जे रौशन न्यू क्षत्रिय नामक संगठन चलबैत अछि। अहि गिरोहक आतंक सीतामढ़ी, शिवहर, मोतिहारी के पूर्वी भाग तथा मुजफ्फरपुर तक अछि। रौशन पर करीब 27 टा मामला दर्ज अछि। अहि मे छह टा मामला मे चार्टशीट दाखिल अछि।
    जानकारी के अनुसार शातिर रोशन पताही थाना के बैजू गांव मे गांधी जी नामक रिश्तेदार के ओतय रुकल छल। सूचना पर एसटीएफ व पताही पुलिस घेराबंदी केलक। पुलिस के देखि रौशन शिकारगंज होइत सिसहनी दिस भागल। जतय सूचना पर ग्रामीण घेराबंदी केलक। अप्पन बचाव मे ओ छह राउंड गोली सेहो चलेलक। पिटाई के कारण रौशन के पकड़ीदयाल पीएचसी मे भर्ती करोल गेल अछि। फिलहाल रौशन सं  सीतामढ़ी व शिवहर पुलिस पूछताछ कय रहल अछि।