नोटबंदी’क असर बिहारमे नहि होबय देब: वित्तमंत्री अब्दुल बारी सिद्दीकी

    0
    301

    पटना, मिथिला मिरर: महागठबंधन सरकारक दोसर वित्तीय वर्ष 2017-18कें बजट पेश करबाक लेल बिहारक वित्त मंत्री अब्दुल बारी सिद्दीकी विधानसभामे कहलनि जे, नोटबंदी’क असर बिहार पर नहि होबय देब। वित्तमंत्री कहलनि जे, अहि सालक बजटमे महिला आ अल्पसंख्यक पर विशेष ध्यान देल गेल अछि। बुनकरक स्थिति बेहतर करबाक जरूरत अछि, अहिक लेल कौशल विकास पर ध्यान देल गेल अछि। ओ कहलनि जे, अर्थव्यवस्था बहैत पानि जेना होइत अछि, हमेशा बदलैत रहैत अछि।

    वित्तमंत्री कहलनि जे, बिहारमे बैंकक संख्या बढ़ाओल गेल जाएत। खाताधारीकें प्लास्टिक मनी देबा पर जोर देल जाएत। नव वित्तीय वर्षमे सुधार पर जोर रहत। ओ कहलनि जे, अभियान चलाकय पीओएस मशीन लगाओल जाएत। कर चोरी रोकबाक पर विशेष ध्यान देल जाएत।

    अहि बेरक बजटमे 2017-18 वार्षिक स्कीम अस्सी हजार करोड़ रुपैयाक राखल गेल अछि। लोकायुक्तके लेल पांच करोड़क राशि मंजूर कएल गेल। राजकोषीय घाटाक नियंत्रण करब सरकारक प्राथमिकता होएत। अर्थव्यवस्था सुधारबा पर विशेष जोर देल जाएत।

    बजट पेश करबाक बाद वित्तमंत्री संवाददाता सम्मेलनकें संबोधित करैत कहलनि जे, यदि केंद्र सरकार कनी ध्यान देने रहैत त बिहारक अर्थव्यवस्था आ बजटमे चारि चांद लागि जाएत। अब्दुल बारी सिद्दीकी कहलनि जे, बिहारकें विशेष राज्य’क दर्जा नहि देल गेल, जे, भेटब जरूरी छल। अहि सं बिहारमे विकासक गाड़ीकें गति भेटैत। मुदा तैयो हम संतुलित बजट रखबाक प्रयास केलहुँ।