मैथिली साहित्य महासभा द्वारा दिल्ली मे मैथिली कवि गोष्ठी’क आयोजन

    0
    288
    दिल्ली, मिथिला मिरर: मैथिली साहित्य महासभा द्वारा मंगलदिन सांझ 4 बजे सं 7 बजे धरि भारतीय मजदूर संघ सभागार, नई दिल्ली मे ‘मैथिली कवि गोष्ठी’क सफल आयोजन संपन्न भेल. कार्यक्रमक  अध्यक्षता निवेदिता मिश्र केलनि। कार्यक्रम मे विशिष्ट अतिथिक रुपे उमाशंकर झा, कामेश्वर चौधरी एवं शिशिर झा उपस्थित छलाह।
    कार्यक्रमक संचालक कंत शरण, स्वागत भाषण मैसाम अध्यक्ष अमरनाथ झा, एवं धन्यवाद ज्ञापन मैसाम महासचिव संजीव सिन्हा केलनि। एहि मैथिली कवि गोष्ठी मे विमल मिश्र, श्रीचंद कामत, मणिकांत झा, इंद्रकांत आजाद, संजीत झा, अरुण मिश्र, नीरज झा, रामबाबू सिंह, महेश डखरामी, विनीत उत्पल एवं कुमकुम झा कविता पाठ कएलनि.
    कार्यक्रम मे मैसाम उपाध्यक्ष हेमंत झा व सुनीत ठाकुर, सचिव संतोष राठौड़ सहित डॉ. कैलाश मिश्र, मनोज चौधरी, मनोजजी, शरत झा, सुनील पवन, उमेश चतुर्वेदीजी सहित अनेक विशिष्टजनक उपस्थिति उल्लेखनीय रहल।