हमरा आ हमर पिता लेल बूथ पर कब्जा करैत छलाह काँग्रेसी : कीर्ति आजाद

0
413

दरभंगा, मिथिला मिरर: लगैत अछि कीर्ति आजाद किछु बेसिए उत्साहित भ’ गेलाह अछि। जहियासँ काँग्रेसमे गेलाह तहियासँ किछु बेसिए मीडियाक सुर्खी बनि रहल छथि। बहुत दिनसँ भाजपामे हाशिया पर रहल दरभंगाक सांसद कीर्ति आजाद काँग्रेसमे शामिल होइत देलनि विवादित ब्यान। कीर्ति आजाद दरभंगाक काँग्रेस जिला कार्यालयमे कार्यकर्ता लोकिनकेँ संबोधित करैत कहलाह जे हुनक पिता भगवत झा आजाद आ 1999मे हमरा लेल काँग्रेसी कार्यकर्ता बूथ लुटैत छलाह। जनतब होयत जे 18 फरवरीकेँ काँग्रेस मुख्‍यालय दिल्लीमे राहुल गाँधी काँग्रेस पार्टीक सदस्यता ग्रहण करेने छलाह।
सांसद कीर्ति झा आजाद कहलनि जे हुनका काँग्रेस पार्टीमे शामिल होमयमे कोनो परेशानी नै भेल आ ने काँग्रेसकेँ हुनका अपनावै मे, किएक त’ ओ मूल रूपसँ काँग्रेस परिवारसँ छथि। कार्यकर्ता आ समर्थक लोकनिमे जोश भरैत कहलाह जे अहाँ सभ हमर पिताजीकेँ लेल बूथ कब्जा करबाक काज करैत छलहु आ साल 1999मे हमरा लेल सेहो केने छलूह। दरअसल, ओहि समय बैलेटसँ चुनाव होइत छल। मुदा आब त’ ईवीएमसँ चुनाव होइत अछि। कीर्तिक इ ब्यान सुनिते ओतय उपस्थित लोक सभ सोचबाक लेल विवश भ’ गेलाह। हालाँकि कीर्ति एहिसँ पूर्व सेहो किछु विवादित ब्यान देने छलाह।

कीर्ति भाजपा पर टिप्पणी करैत कहलाह जे आब अटल आडवाणी वला भाजपा नै अछि। मनमोहन सिंह सरकारकेँ समय नरेन्द्र मोदी कहैत छलाह जे एक सैनिकक सिरकेँ बदला 10 सिर कटवाक चाही। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सैनिककेँ शहादत पर राजनीति क’ रहल छथि। पुलवामा कोनो नव घटना नै एहिसँ पूर्व उड़ी आ पठानकोट भ’ चुकल अछि। मोदी 2014 के चुनावमे भ्रष्टाचारीकेँ सबक सिखवैकेँ बात कहैत छलाह। एहि विश्वासकेँ संग क्रिकेटमे भेल चारी कारोड़केँ घोटालाक जखन साक्ष्यक संग मामला उठेलहू त’ ईनाममे 23 दिसंबर 2015केँ पार्टीसँ हटा देल गेल। हमर क्षेत्रक जनता 15 लाख रुपैयाकेँ विषयमे पुछैत छथि की कहिया भेटत त’ हमरा लग कोनो जबाब नै छल। हालाँकि जनताक सवाल वाजिव छनि की कि भेल 2 करोड़ रोजगार आ कालाधन। कीर्ति एतबे पर नै रुकलाह आ कहलाह 1998 सँ पहिने दरभंगामे भाजपासँ नै त’ कोनो सांसद भेलाह आ ने कोनो संगठन छल। पार्टीकेँ सींचबाक काज कएलहु। 26 साल धरि हुनकर परिवार भटकल रहल। मुदा हुनका डीएनएमे काँग्रेस छल ताहि लेल आब अपन घरमे वापसी केलहु। आब देखबाक बात इ अछि जे की कीर्ति लोकसभा चुनाव जीत संसद पहुँचताह।