वित्तरहित शिक्षकक आंदोलन समाप्त, मूल्यांकन काज शुरू

    0
    534

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: सरकारक संग सौहार्दपूर्ण वातावरणमे भेल सफल वार्ताक बाद शिक्षक आंदोलन वापस लए लेलक अछि। अहिकेँ संग शिक्षक पुन: काज पर लौटबाक घोषणा कए देलनि अछि। वित्तरहित शिक्षा संघर्ष मोर्चाक जिला प्रवक्ता विनय कुमार चौधरी कहलनि जे, वित्तरहित शिक्षा संयुक्त मोर्चा, वित्त रहित क्रांति मोर्चा आ बिहार माध्यमिक शिक्षक संघके संयुक्त तत्वावधानमे शनिदिन 32’म दिन सेहो मूल्यांकन काजक हिष्कार आ धरना सत्याग्रह जारी रहल।

    महासंघ आ सरकारक बीच सौहार्दपूर्ण माहौलमे भेल समझौता वार्ता संपन्न हेबाक बाद मूल्यांकन काज बहिष्कार आ धरना सत्याग्रह समाप्त करबाक घोषणा कएल गेल। प्रो. उमेश चंद्र झा, प्रो. वीरेन्द्र सिंह, प्रो. सत्येन्द्र मिश्रा, प्रो. भगवान राय आ प्रो. अरुण पाठक संयुक्त रूप सँ कहलनि जे, सरकार महासंघक संग भेल समझौतामे लिखित रुप सं तीन सूत्री मांग मानबाक सहमति देलक अछि।

    अहिकेँ बाद संघ 16 अप्रैल सं मूल्यांकन काजक बहिष्कार, धरना आ सत्याग्रह वापस लेलक अछि। संगहि सब शिक्षककें चट्टानी एकताक संग आंदोलनकें सफल बनेबाक लेल धन्यवाद दैत मूल्यांकन काजमे सहयोग करबाक अपील केलन।