कमला’क जलस्तर मे बढ़ोतरी, झंझारपुर रेल परिचालन बंद

    0
    324

    मधुबनी, मिथिला मिरर-पारस कुमार ठाकुर: झंझारपुर म कमला बलान नदी केर जलस्तर मे बृहस्पति दिन भारी उछाल स बाढ़िक आंशंका गहरा गेल अछि। नदीक जलस्तर खतरा निशान के पार कय गेल अछि।साँझ मे जलस्तर 51.60 मीटर पर बहि रहल छल। एम्हर नदी के उफानक दवाब बढ़ला स रेल सह सड़क पुल पर रेलक परिचालन बंद कय देल गेल। पुल पर रेल यातायात बंद हेबाक पुष्टि करैत पी डब्लू आई राज कुमार कहलनि जे, ई रोक अगिला आदेश धरि जारी रहत।

    एम्हर झंझारपुर के स्टेशन अधिछक जे एस मिश्रा कहलनि जे, पुल पर रेल यातायात बंद हेबाक कारण तत्काल सकरी निर्मलि आ लौकहा रेल खंड पर चलय बला रेलक परिचालन प्रभावित भेल अछि।झंझारपुर आ लोहना स्टेशन के बीच ट्रेन परिचालन सेहो बाधित अछि।