दू टा मासूमक संग दुष्कर्म, पंचायत लगौलक 82 हजारक जुर्माना

    0
    287

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर के औराई थाना क्षेत्र मे दू टा मासूम संग बलात्कार कायल करबाक खबरि प्रकाश मे आयल अछि। सूत्रक अनुसार मामला जहन पंचायत मे गेल त पंच परमेश्वर लोकनि मात्र 82 हजार रुपैयाक जुर्माना के संग मामला के रफा-दफा करबाक फरमान सुना देलनि।

    मामलाक खुलासा हेबाक बाद पुलिस पड़ताल मे जुटि गेल अछि। डीएसपी पूर्वी एम अहमद द्वारा गाम मे जा कय मामला के तहकीकात केलाक बाद पीड़ित परिवार महिला थाना पहुँच कय प्राथमिकी दर्ज करौलनि।

    पुलिस फिलहाल मामलाक विस्तृत छानबीन कय रहल अछि। एखनहु धरि कोनो आधिकारिक बयान नहीं देल गेल अछि। बताओल जा रहल अछि जे, पीड़ित बच्ची के संग पड़ोस के रहय बला रिस्ता मे बाबा लगय बला व्यक्ति बलात्कार केलक अछि। शिकायत जहन गामक पंचायत मे कायल गेल त 41 हजार रुपैयाक हिसाब सँ दूनू बच्चा के संग बलात्कार हेबाक एवज मे 82 हजारक दंंड लगाओल गेल।

    बच्ची के मां के बयान पर महिला थाना मे दुष्कर्म के आरोपीक संग-संग जनार पंचायतक मुखिया आ अधिवक्ता के खिलाफ पॉक्सो के धरा मे प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल।