आब दशरथ मांझी के गाम धरि जायत ट्रेन

    0
    286

    मिथिला मिरर: मीडिया मे चलि रहल खबरि के अनुसार पहाड़ काटि कय सड़क बनाबय बला व्यक्ति दशरथ मांझी के गाम तक आब सरकार रेल लाइन बिछेबाक योजना बना रहल अछि। जतय दशरथ मांझी के गाम हरनौर मे मांझीक नाम पर स्टेशन के नाम रखबाक बात कायल जा रहल अछि।

    सूत्रक अनुसार नई दिल्ली के कांस्टीट्यूशन क्लब मे आयोजित एकटा कार्यक्रम मे रेल मंत्री सुरेश प्रभु स्वं अहि बातक घोषणा केलनि अछि। घोषणा के अनुसार बहुत जल्दिये ‘माउंटेन मैन’ के गाम गया के  गहलौर तक रेलक विस्तार कायल जायत।