पूर्व मुख्यमंत्री आ हिन्दुस्तानी अवाम मोर्चाक अध्यक्ष जीतन राम मांझीक एनडीएम मे आगमन

0
852

मिथिला मिरर, पटनाः हिन्दुस्तानी अवाम मोर्चाक अध्यक्ष जीतन राम मांझी एनडीए मे वापसी कऽ रहल छथि। पटना मे बृहस्पतिदिन जीतन राम मांझी विधिवत रूप सऽ राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधनक हिस्सा बनताह। जीतन राम मांझी महागठबंधनक हिस्सा छलाह मुदा ओहिठाम सीट पर सहमति नहि भेलाक कारणेँ ओ एनडीए दिस डेग बढ़ौलनि।

एनडीए मे जीतन राम मांझीक आगमन पर कतेको दिन सऽ अटकल लगाओल जा रहल छल मुदा एकर आधिकारिक रूप सऽ घोषणा नहि कएल गेल छल। जेडीयूक संग सीटक लेन-देन पर सहमति भेटलाक बाद जीतन राम मांझी एनडीएक हिस्सा बनबाक औपचारिक एलान कएलनि। हालांकि ई नीतीश कुमार संचालित जेडीयूक एक रणनीतिक हिस्सा छल जाहि मे जीतन राम मांझी केँ गठबंधन मे आनि चिराग पासवान केँ एकटा संदेश देल जाए जे दलित वोट लेल जेडीयू लग आओर विकल्प सेहो अछि। मांझीक एनडीएक हिस्सा भेला सऽ महागठबधन केँ कतेक नुकसान आओर एनडीए केँ कतेक नफा होइत अछि ई तऽ चुनावक बादे बता चलत।