ज्योति मौर्यक पदचिन्ह पर बिहार ज्योति, दरोगा बनिते पति केँ छोड़ि प्रेमीक संग रहबाक जिद्द

0
181

मिथिला मिररः उत्तर प्रदेशक एसडीएम ज्योति मौर्य आ हुनक पति आलोक मौर्यक कहानी पूरा देश-दुनिया मे आगिक पसाही जकाँ पसरल। लोक नानान तरहक प्रतिक्रिया ओहि घटना पर सेहो सोशल मीडियाक माध्यम सँ देलनि। मुदा ओहने सन किछु घटना बिहारक मिथिला क्षेत्रक मुजफ्फरपुर सँ आबि रहल अछि, जाहिठाम ज्योति नामक एकटा महिला दरोगा बनलाक बाद पतिकेँ छोड़ि प्रेमीक संग रहबाक लेल मुखरताक संग आवाज उठा रहल छथि।
दरोगा बनेबाक लेल पति करबौलनि कोचिंग
मुजफ्फरपुर जिलाक मुसहरी प्रखंड अंतर्गत एकटा गामक निवासी प्रियरंजन आ ज्योति मे दोस्ती भेल छल आ तकरा बाद दुनू गोटे 2009 ई. मे प्रेम विवाह कऽ लेलनि। प्रियरंजन आ ज्योति दिल्ली मे रहैत छलथि। प्रियरंजन रियल स्टेट मे नौकरी करैत छलाह तँ ज्योति एकटा निजी बैंक मे नौकरी करैत छलीह। विवाहक बाद एहि प्रेमी युगल पति-पत्नीक घर एकटा बेटा जन्म लेलक जकर नाम रेयांश राखल गेल। साल 2012 ज्योति गुरूग्राम मे बीपीएससीक तैयारी शुरू कयलनि मुदा कोरोना महामारी आ लाॅकडाउनक बाद प्रिय रंजनक काज ठप्प पड़ि गेल जकरा बाद ओ सभ अपन पैतृक जिला मुजफ्फरपुर आबि गेलाह मुदा ज्योतिक बीपीएससीक तैयारी जारी छल।
सोमेश्वर झा नामक युवक सँ भेलनि ज्योति केँ प्रेम
ज्योति मुजफ्फरपुर मे कोचिंग शुरू कयलनि आ ओहिठाम सोमेश्वर झा नामक एकटा युवक संग हुनका दोस्ती भेलनि आ धीरे-धीरे ई दोस्ती प्रेम मे बदलि गेल। हालांकि एहि प्रेम प्रसंगक भनक धरि ज्योतिक पति प्रिय रंजन केँ नहि लगलनि। बाद मे साल 2019 मे ज्योति आ सोमेश्वर दुनूक नियुक्ति दरोगाक पद पर भऽ गेलनि। नौकरी लगिते ज्योतिक व्यवहार पतिक प्रति बदलब शुरू भऽ गेलनि आ ज्योति पतिक संग रहबा सँ साफ मना कऽ करय लगलीह। हालांकि परिजनक द्वारा ज्योति केँ मनेबाक पूरा कोशिश कयल गेल मुदा ओ मानबाक लेल नहि तैयार भेलीह। मीडिया रिपोर्टक मानी तँ ज्योतिक पति प्रिय रंजन एहि बातक शिकायत एसडीपीओ पूर्वी केँ देलनि अछि जे ज्योति हुनका लगातार धमकी दऽ रहल छथि।
ज्योति आ सोमेश्वर केँ आर्थिक मदद कयने रहथि प्रिय रंजन
प्रिय रंजनक मानी तँ ओ सेंटर मैनेज करबाक लेल ज्योति आ सोमेश्वर केँ 20 लाख टका सँ मदद कयने रहथि। ज्योति अपन पति प्रिय रंजन केँ कहने रहथि जे ओ सोमेश्वर केँ मदद करथुन आ बाद मे हुनकर पिता पूरा पैसा चुका देथीन। तकरा बाद प्रिय रंजन अपन जमीन बेचलनि आ किछु दोस्त सभ सँ उधार लऽ सोमेश्वर केँ टका देलनि। हालांकि जखन प्रिय रंजन, सोमेश्वर सँ उधारी मांगैत छलथि तँ ज्योति हुनका सँ लड़य लगैत छलथिन। ज्योतिक 10 सालक बेटाक कहब छैक जे जखन पापा घर पर नहि छलथि तँ हुनकर मम्मी हुनका लय सोमेश्वरक घर पर जाइत छलीह आ हुनका दोसर घर मे सुता कऽ ओ सोमेश्वरक दोसर घर मे चलि जाइत छलीह। वर्तमान मे ज्योति एखन कटिहार मे पोस्टेड छथि।
दरोगा पत्नीक अछि दोसर दलील
पति प्रिय रंजनक आरोप केँ पत्नी ज्योति निराधार बता रहल छथि। हुनकर कथन छनि जे हुनक पति प्रिय रंजन हुनका शराबक नशा मे हुनका मारैत-पीटैत छलनि एहि लेल ओ हुनका सँ अलग रहबाक निर्णय लेलथि अछि। दरोगा ज्योतिक कहब अछि जे हुनका पढ़बाक खर्च हुनक बहिन दैत छलथिन। ज्योति कहलनि जे ओ दू दिनक छुट्टी पर बेटा सँ भेंट करबाक लेल आयल छलीह मुदा सासुर पक्षक द्वारा हुनका अपना बेटो सँ भेंट नहि कयर देल गेल जकरा बाद पुलिसक मदद लेल गेल।