दुष्कर्मक दू अलग-अलग मामला मे अर्थदंड सहित 20-20 सालक सश्रम सजा

0
158

मिथिला मिररः प्रोटेक्शन आॅफ चिल्ड्रन अगेंस्ट सेक्सुअल आॅफेंस (पाॅक्सो) कोर्ट द्वारा दू अलग-अलग मामला मे अर्थदंड सहित 20-20 सालक सश्रम सजा सुनाओल गेल। पाॅक्सो कोर्टक विशेष न्यायाधीश महेश प्रसाद सिंह अभियोजन पक्ष द्वारा प्रस्तुत कयल गेल साक्षक आधार पर दुनू आरोपी केँ सजा सुनौलनि। हालांकि दुनू सजा दू अलग-अलग मामला मे सुनाओल गेल।
साहेबपुर कमाल थाना क्षेत्रक सनहा परोड़ा निवासी अजित कुमार पर भारतीय दंड संहिताक धारा 376 आ पाॅक्सो एक्टक विभिन्न धाराक तहत 20 सालक सश्रम सजा आ 50 हजार टकाक आर्थिक जुर्माना सेहो लगाओल गेल। अजित कुमार पर 12 अप्रैल 2022 कऽ एकटा नाबालिक संग दुष्कर्मक आरोप लागल छल। एहि मामला मे अभियोजन पक्ष द्वारा विशेष पाॅक्सो कोर्ट मे छह गोट गबाहक बयान दर्ज कराओल गेल छल।
दोसर दिस अप्राकृतिक यौनाचारक एकटा मामला मे तेघड़ा थाना क्षेत्रक आलापुर गाम निवासी धर्मराज राज पर भारतीय दंड संहिता धारा 377 एवं पाॅक्सो एक्टक विभिन्न घाराक तहत सश्रम 20 सालक सजा सुनायल गेल।