मिथिला अनन्तकाल धरि ऋणी रहत अहाँक अटलजी

0
564

दिल्ली, मिथिला मिरर : भारत रत्नसँ सम्मानित भारतक पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी आब एहि दूनियाँमे नै रहलाह। 93 वर्षीय वाजपेयी एकटा कुशल राजनेता, प्रखर वक्ता, संगीतकार, कवि संग साहित्यकारक सेहो छलाह। अटलजी दिल्लीक एम्समे 16 अगस्त सायं 5:05 बजे अंतिम साँस लेलाह।  बहुमुखी प्रतिभाक धनीक अटलजी सभ राजनितिक दलक लेल सम्माननीय छलाह। जखनि ओ संसदमे बजैत छलाह पक्ष के कहै विपक्ष तक धैर्यपूर्वक सुनैत छल। याद अबैत अछि दरभंगाक राज मैदानक भाषण जखन ओ मैथिलि भाषाकें संबिधानक अष्टम अनुसूचीमे जगह देबाक घोषणा केने छलाह, अटलजी अपन कार्यकालक लगभग अंतिम कालमे मिथिलावासीसँ कएल गेल वादा 24 दिसम्बर 2003कें पूरा केलनि। अटल जी समस्त मिथिला अहाँक एहि पुनीत कार्यक लेल ऋणी रहत। अटल जी किडनी आ नलीमे संक्रमण, छातीमे जकड़न, मूत्रनलीमे संक्रमण, डायबिटीज जेहन बीमारीसँ ग्रसित छलाह जाहि कारणसँ 11 जूनकेँ एम्समे भर्ती कराओल गेल रहनि, तहियेसँ अस्पतालमे भर्ती छलाह बतादी जे हुनक एकहिटा किडनी काज करैत छलनि।