सीतामढ़ी’क डुमरा रोड पर खतरनाक बनल टूटल पुल

    0
    301

    सीतामढ़ी, मिथिला मिररर: सीतामढ़ीक मे पैघ नाली व सीवरेज नहि हेबाक कारने एतय मैनहोल नहि अछि। डुमरा रोड पर पुलिया सेहो खतरनाक ढंग स टूटल पड़ल अछि। जाहि सं हरदम दुर्घटनाक आशंका बनल रहल अछि।

    शहरक सब सं व्यस्त सड़क डुमरा रोड पर शांतिनगर के समीप पुलिया काफी समय स टूटल पड़ल अछि। अहि सड़क सं पैघ अधिकारी आ मंत्री तक गुजरैत छथि। एतय बहुतो बेर दुर्घटना सेहो भेल मुदा एकर मर्रमत नहि भय सकल। पुलिया के लेल अनशन तक कय चुकल अधिवक्ता ठाकुर चंदन कहै छथि जे, अहि पुलिया के समीप बहुत बेर लोक खसि कय घायल भय चुकल अछि।

    यदि आम आदमी, डीएम, डीडीसी या नगर निकाय मे अहि संबंध मे आवेदन देल जाय त अवश्य समुचित कार्रवाई भय सकैत अछि। म्युनिसिपल एक्ट के अंतर्गत कर्तव्यहीनता बरतय वला पर कार्रवाई संभव अछि।