कैलाशपुरी मेला’क उद्घाटन केलनि पर्यटन मंत्री अनिता देवी

    0
    305

    सुपौल, मिथिला मिरर: सुपौल जिलाक पिपरा प्रखंड स्थित पथरा उत्तर पंचायत के कैलाशपुरी मे सात दिवसीय मेलाक उद्घाटन बिहार सरकारक पर्यटन मंत्री अनिता देवी व अल्पसंख्यक कल्याण मंत्री प्रो. अब्दुल गफूर दीप प्रज्ज्वलित कय केलनि। कार्यक्रम के सम्बोधित करैत मंत्री अनिता देवी कहलनि जे मेला हमर सांस्कृतिक धरोहर अछि। मेला स आपसी भाईचारा आ मेल मिलाप बढ़ैत अछि।

    ओ कहलनि जे बिहार सरकारक सात निश्चय योजना के सफल बनेबाक अपील केलनि। ओ कहलनि जे, जहन महागठबंधनक सरकार शराबबंदीक घोषणा केलक त बिहारक महिला खुशहाल जीवन जी रहली अछि। ओ कहलनि जे, सरकार ओहेन बच्चा के लेल स्टूडेंट्स क्रेडिट कार्डक व्यवस्था केलक अछि जे, आर्थिक रूप स कमजोर अछि।