पूर्णिया मे दोकान बंद करेबाक लेल पहुँचल बंद’क समर्थक आ व्यावसायिक बीच झड़प

    0
    279

    पूर्णिया, मिथिला मिरर: नोटबंदी के विरोध मे भारत बंद के दौरान बिहार के पूर्णिया मे बंद के समर्थक आ व्यवसायी के बीच जमि कय नोकझोंक भेल। घटना सहायक खजांची थाना के भट्ठा बाजारक अछि।

    व्यवसायी बंद समर्थक वाम दलक कार्यकर्ता पर जबरन दुकान बंद करेबाक आ मारिपीट करबाक आरोप लगेलक अछि। अहि के विरोध मे व्यवसायी सेहो सड़क पर उतरि क मोदी-मोदी के नारा लगाबय लागल। व्यवसायी के कहब छल जे, सीपीएम के एकटा नेता व्यवसायी के लाठी स वार कय घायल कय देलक।

    व्यवसायी कहलक जे, ओ कोनो भी हालत मे अप्पन दोकान बंद नहि करत। सीपीएम नेता राजीव सिंह मारि पीट आ जबरन दोकान बंद करेबाक आरोप स इंकार केलक अछि। ओ कहलनि जे, पूर्णिया समेत पूरा देश मे बंद सफल रहल। बंद के दौरान पूर्णिया शहर मे पुलिस प्रशासन चौकस छल।