भारत बंद के दौरान दोकान खुजल राखय वला के भाजपा कार्यकर्ता पहिरेलक फूलक माला

    0
    420

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: नोटबंदी के खिलाफ देशव्यापी भारत बंद’क बिहार के समस्तीपुर मे मिश्रित रूप देखबाक भेटल। समस्तीपुर मे भाजपा युवा मोर्चा के कार्यकर्ता नोटबंदी के समर्थन मे रहल दोकानदारक स्वागत केलक। शहर के दोकानदार के भाजपा कार्यकर्ता फूल भेंट कय सम्मानित केलक।

    शहर के बहुतो दोकानदार बंदी के दौरान अप्पन दोकान खोलि कय प्रधानमंत्रीक फैसलाक समर्थन केलक। अहि दौरान नोटबंदीक समर्थन करैत दुकान खुजल राखय वला दोकानदार के भाजपा कार्यकर्ता आभार व्यक्त करैत फूल भेट केलक।

    कार्यकर्ता नोटबंदी पर विपक्षक रवैया पर नाराजगी जाहिर करैत आरोप लगेलक अछि जे, विपक्ष कालाधन के वापसी पर राजनीति कय रहल अछि, जे गलत अछि। अहि दौरान बंदी करा रहल कार्यकर्ता दिस सं भाजपा के युवा मोर्चा’क कार्यकर्ता सड़क पर जुलुस निकालि कय प्रधनमंत्री के समर्थन मे नारा लगेलक।