डॉ. अमरेंद्र नारायण यादव ‘बीआरए बिहार विश्वविद्यालयकेँ’ कुलपति नियुक्त कएल गेलाह

    0
    281

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: डॉ. अमरेंद्र नारायण यादवकें बीआरए बिहार विश्वविद्यालयकेँ नव कुलपति नियुक्त कएल गेल। अप्पन नियुक्तिक बाद अमरेंद्र यादव कहलनि जे, विश्वविद्यालयमे व्याप्त बीमारीक दबाई हमरा बुझल अछि, समय सं अहि बिमारीक इलाज शुरू होएत। सोमदिन कुलपति आवास पर अप्पन स्वागतमे आयल विश्वविद्यालयके पदाधिकारी, विभिन्न कॉलेजक शिक्षक व शिक्षकेतर कर्मीकें संबोधित कय रहल छलाह।

    ओ कहलनि जे, विश्वविद्यालयकें जे, पूर्वमे गौरव छल ओ कम भेल अछि। एकरा सुधारबाक लेल हमरा लग कोनो छूमंतर नहि अछि, मुदा हम एतय सं छात्र जीवन सं जुड़ल छी। लिहाजा विविकें परिवेश हमरा लेल नव नहि अछि। मिलिजुलि कय समस्याक निदान कएल जाएत।

    वीसी डॉ. यादव कहलनि जे, विश्वविद्यालयकें संचालित करबामे तमाम प्रकारक कठिनाइ अबैत अछि, मुदा एहेन नहि अछि जे, एकरा समाप्त नहि कएल जा सकैत अछि। सब पक्ष सं मिलिकय बातचीत द्वारा समस्याक समाधान कएल जायत।

    ओ कहलनि जे, हमर फिल प्राथमिकतामे छात्र हित सं जुड़ल बात अछि। छात्रक समस्याके निष्पादनक लेल गंभीर कदम उठाओल जाएत। अहि प्रकार शिक्षक, शिक्षकेतर कर्मीक समस्याक निदान कएल जायत।