मुजफ्फरपुर मे नक्सली पर्चा खसा कय मंगलक रुपैया

    0
    266
    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे नक्सली हमलाक संग बहुतो आपराधिक मामला दिनो-दिन अप्पन उग्र रूप धारण के रहल अछि। आय ओहने एकटा घटना प्रकाश मे आयल अछि, जे बिहारक प्रशासनिक व्यवस्था के तार-तार करबाक लेल पर्याप्त अछि। मुजफ्फरपुर सकरा थाना क्षेत्र के सुजवालपुर चौक पर नक्सली, पर्चा खसा कय व्यवसायी स रुपैयाक माँग कयलक अछि, जाहि स समुच्चय इलाका मे भय ब्याप्त अछि। 
    सूत्रक अनुसार नक्सली सकरा के व्यवसायी टूना स 5 लाख रुपैयाक माँग कयलक, जाहि मे पहिने परचा खसा कय माँग कायल गेल, जकरा बाद फोन कय सेहो रुपैयाक माँग कायल गेल। हालिया घटना स समुच्चय क्षेत्र मे भय व्याप्त अछि। ज्ञात हो कि किछु दिन पहिनहि नक्सली घटना में सीआरपीएफ के 10 गोट जवान शहीद भेल छलाह।