मधुबनी मे रंगदारी मांगय वला के गिरफ्तारक मांग’क लेल प्रदर्शन

    0
    390

    मधुबनी, मिथिला मिरर: समाहरणालय के समक्ष जिला साक्षरताकर्मी मंच के बैनर तर सैकड़ोक संख्या मे साक्षरताकर्मी बृहस्पति दिन सं अनिश्चितकालीन धरना शुरू कय देलक अछि। धरनाकर्मी के कहब अछि जे, शहर मे रंगदारी माँगय वलाक संख्या मे दिनों दिन बढ़ोतरी भय गेल अछि, आ प्रशासन हाथ पर हाथ देने बैसल अछि। जाहि सं लोक के काफी परेशानीक सामना करय पड़ि रहल अछि।

    धरनाकर्मी प्रशासन सं अतिशीघ्र रंगदारी वसूली करय वला के गिरफ्तारीक मांग कय रहल अछि। जाहि सं साक्षरताकर्मी सहित आमजन के अहि सं मुक्ति भेटि सकय।