ग्रामीण लोकनिक चन्दासँ बनल स्कूल

    0
    315

    पूर्णिया, मिथिला मिरर : पूर्णियाँक  गढि़या बलुआ पंचायतक बेलबाड़ी गाममे संचालित प्राथमिक विद्यालय उच्छेपुर केर अपन जमीन नै रहलाक कारण स्कूल यत्र-तत्र चलैत छल, जाहि कारणसँ  बच्चा सभक पढाई लिखाईमे  बड्ड परेशानी होइत छलैक। एहि परेशानीके देखैत सभ ग्रामीण मिलि जमीन देलथि संगहि चंदा क’ स्कूल बनबेलथि। आब बच्चा-बुच्ची सभके यत्र-तत्र  नै भटकय पड़तनि। बुधदिन एहि भवनक उदघाटन पंचायतक मुखिया परमानंद ऋषि आ  झुन्नीकला मुखिया कुंदन कृष्ण मोहन उर्फ कुंदन यादव, पूर्व मुखिया मु. मुजलिम फीता काटी क’ केलाह । एहि मौकापर उपस्थित गणमान्य लोकसभ बतेलनि जे  2009मे एहि  विद्यालयक स्थापना भेल छल । अखन  एहि  विद्यालयकमे  164 छात्र नामांकित छथि।  जमीनक अभावमे ई  स्कूल चलंत विद्यालय बनि क’ रहि गेल छल। ई  स्कूल कहियो मदरसामे त  कहियो किनको दरबज्जा पर चलैत छल । किछु दिन पहिने गामक शेख इमाम आ शेख इसाख दुनू  गोटय 22 डिसमिल जमीन द’ विद्यालयक स्थायी ठिकाना बनेलनि। जखन  स्कूलक  लेल जमीन उपलब्ध भ’ गेल तखन ग्रामीणक सहयोग आ  चंदासँ चारिटा कोठली बनाओल गेल। आब एहि नव घरमे विद्यालय संचालित होयत। नबका विद्यालय बनलासँ  बच्चा-बुच्ची सभमे सेहो खुशी देखल गेल। उपस्थित जनसमूह जमीनदाताकेँ आ सहयोगकर्त्ताकेँ लेल हृदयसँ साधुवाद देलथि।