जिनगीक जंग जितली ‘सना’

    0
    624

    मुंगेर, मिथिला मिरर : तीन सालक सनाके अंततः 29 घंटाक लगातार रेस्क्यू  ऑपरेशन चला  110 फीट गहींर बोरवेलसँ  निकालि लेल गेल। एकरा संग  दू  दिन तक चलल तमाम आशंका पर विराम लागि गेल।  सना मासूमियत निगाहसँ  ‘थैक्यूु’ कहलक ओतहि उपस्थित भीड़क आँखिमे नोर सेहो देखल गेल। सना जखन अपन माँकेँ  कोरामे गेलीह त’ हुनक माँ कानय लगलीह। बतादी जे मुंगेरक मुर्गिया चक इलाकेमे  मंगलदिन  बेरुपहर तीन बजे सना बोरवेलमे खसि पड़ल छलीह। ओ 45 फीट नीचा जा प्लास्टिक पाइपसँ  अटकि गेल छलीह। तकरा बाद स्थानीय लोक आ प्रशासनक टीम बच्चाके सुरक्षित निकालबामे जुटि गेल। स्थानीय प्रशासन भागलपुर आ खगडिय़ासँ  एसडीआरफ, एनडीआरएफ आ सेनाक सहायता लेल बजौलक। मौका पर उपस्थित डॉक्टरक टीम लगातार बच्चीके एक-एक हरकत पर नजरि बनौने  छल आ लगातार पाइपसँ  ऑक्सीजन द’ रहल छल। सेनाक बचाव दल पहुँचलाक करीब डेढ़ घंटा बाद  ‘सना’ बाहर निकालल जा सकल । एहि बीच ‘सना’केँ  सकुशल बरामदगीक लेल पूरा देशमे पूजा-पाठ आ दुआक दौर लगातार जारी छल । जखने बचाव दल सनाकेँ  निकालि एंबुलेंसमे ल’ गेल, भीड़मे खुशीक लहर भ’ गेल। सनाकेँ  होशमे आ स्वस्थ  देखि प्रशासन पक्षमे जोरदार नारेबाजी होइत देखल गेल । कतेको साल बाद प्रशासनक पक्षमे जनताक एहन समर्थन देखल गेल जे अदभुत छल। अखन सना डॉक्टरक निगरानीमे अस्पतालमे  भर्ती छैथ। सनाकेँ सकुशल रेस्क्यू भेला पर प्रधानमंत्री मोदी आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार ख़ुशी जाहिर केलथि।