मुजफ्फरपुरक घटना पर सुप्रीम कोर्ट लेलक स्वतः संज्ञान

    0
    301

    मुजफ्फरपुर,मिथिला मिरर : बिहारके मुजफ्फरपुर बालिका गृह कांड  मामला पर सुप्रीम कोर्ट स्वत: संज्ञान लइत  मामलाकेँ  बेसी गंभीरतासँ लेलक अछि । सुप्रीम कोर्ट पीड़ित नाबालिग सभके कुनो तस्वीर छपवा वा देखेबा पर तत्काल रोक लगा देलक अछि। सर्वोच्च अदालत बिहार सरकार, महिला एवं बाल कल्याण मंत्रालय आ टाटा इंस्टीट्यूट ऑफ सोशल साइंसेज (टीआईएसएस)केँ  नोटिस सेहो भेजलक अछि। मुजफ्फरपुर कांड केर  संदर्भमे शीर्ष अदालत निर्देश देलथि अछि जे  बालिका गृहकेँ बच्ची सभक नै इंटरव्यू देब देल जाय आ नै हुनकर सभक फोटो देखाओल जाय । संगहि  बिहार सरकारसँ केस जाँचक पूरा ब्यौरा देबाक लेल कहल गेल अछि। गौरतलब अछि जे  सरकारक तरफसँ संचालित मुजफ्फरपुर जिलाक बालिका गृहमे करीब 30सँ ज्यादा बचिया सभक सँग बलात्कार आ उत्पीड़न कएल गेल जकरा बाद  ओतयसँ  42 टा बचिया सभकेँ  निकालल गेल। घटनाक शुरुआती जाँचसँ जुड़ल अधिकारीकेँ  मुताबिक बचिया सभकेँ रोजाना राइत क’ नशा बला  दवाई देल जाइत छल। बतादी जे मुजफ्फरपुर बालिका गृह यौन शोषणक खबरि एलाक बाद बिहार सहित पूरा देशमे हड़कंप मचल अछि। बिहार सरकार एहि मामलाक जांच सीबीआईसँ करेबाक सिफारिश केलक अछि।