मुजफ्फरपुरक घटना : आखिर मंत्री मंजू वर्मा देलीह इस्तीफा

0
378

पटना, मिथिला मिरर : मुजफ्फरपुर बालिका गृह यौन शोषण कांडमें नित नव खुलासा भ’ रहल अछि।  एहि मामलामे लगातार राज्य सरकारकेँ किरकिरी भेलाक बाद आखिरकार बिहार सरकारक समाज कल्याण मंत्री श्रीमती मंजू वर्मा अपन पदसँ इस्तीफा देलीह। एहि मामलामे मंत्री आ हुनक पतिक नाम एलाक बाद अपन इस्तीफा देलनि अछि। बतादी जे मंगलदिन सीबीआइ मुख्य आरोपी ब्रजेश ठाकुरक मोबाइलक सीडीआर खंगालने छल जाहिमे मंजू वर्मा आ हुनक पतिके आरोपीसँ भेल बातचीतक खुलासा कयने छल, संगहि विपक्षी पार्टी सभ लगातार हुनक इस्तीफाक  मांग क’ रहल छल। तकरा बाद 8 अगस्त बुद्धदिन मंत्री मंजू वर्मा मुख्यमंत्रीसँ भेंट क’ अपन इस्तीफा सौंपि देलखिन। इस्तीफा सौंपि देलाक बाद मंजू वर्मा प्रेससँ बात करैत कहलीह जे ”हम अपन स्वेच्छासँ इस्तीफा देलहुँ अछि आ आई सेहो कहि रहल जे हमर पति निर्दोष छथि। हम पहिने सेहो कहने रही जे हमर आ हमर पतिके आरोपी ब्रजेश ठाकुरसँ बातचीत भेल छल, मुदा इ के जनैत छल जे ब्रजेश ठाकुर बालिका गृहमे की सभ करैत अछि?” संगहि मंजू वर्मा माँग केलीह जे ब्रजेश ठाकुरसँ  किनकर- किनकर संबंध छनि सीबीआइ खुलासा करय।  पटना हाईकोर्ट आ सीबीआइसँ हम माँग करैत छी जे ब्रजेश ठाकुरक  संग एहि मामलामे कुन-कुन राजनेता आ अधिकारी सभसँ बात होइत छल।  सभक कॉल डिटेल सीबीआइके निकालबाक चाही  आ पटना हाईकोर्टके सेहो सीडीआर देखबाक चाही।  सीबीआईकें सीडीआर सार्वजनिक करबाक चाही  आ सम्बंधित व्यक्ति सभपर कार्रवाइ करबाक चाही। श्रीमती मंजू वर्मा तेजश्वी यादव पर आरोप लगबैत कहलीह जे इ सभटा चक्र चाइल हुनके छनि।