लंबित योजना पर दरभंगा जिलाधिकारी’क समीक्षा बैसक

    0
    254

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा जिला पदाधिकारी डॉ0 चन्द्रशेखर सिंह’क अध्यक्षता मे कब्रिस्तान घेराबन्दी (नया)/एम0 एस0 डी0 पी0/ एम0 पी0 लेड्स/ सी0 एम0 लेड्स/ एल0 ए0 ई0 ओ0 के सब योजनाक कार्यालय प्रकोष्ठ मे समीक्षात्मक बैसक कायल गेल। जिलाधिकारी जिला मे चलि रहल विभिन्न विभागक महत्त्वपूर्ण योजनाक विस्तृत समीक्षा केलनि।

    एहेन योजना जे काफी समय स लंबित अछि एवं ओहि पर कार्य संतोषजनक नहि चलि रहल अछि, ताहि पर नाराजगी व्यक्त केलनि। योजना के धीमी प्रगति संबंधित संवेदक के विरूद्ध प्राथमिकी दर्ज करैत काला सूची दर्ज करबाक निर्देश देल गेल। ओतहि पूर्ण कय लेल गेल योजना के प्रतिवेदन फोटोग्राफ्स सहित भेजबाक निर्देश देल गेल। सब विभागक कार्यपालक अभियंतागण के निर्माणाधीन कार्यक निर्धारण समय सीमा के अन्दर समाप्त करवाक निर्देश देल गेल।

    जिला मे बनय वला ई-किसान भवन एवं पंचायत राज सरकार भवनक लेल जमीनक उपलब्धता हेतु संबंधित अंचलाधिकारी के निर्देश देलनि। उक्त बैसक मे जिला पंचायती राज पदाधिकारी शत्रुघ्न कामति, जिला अल्पसंख्यक कल्याण पदाधिकारी जेड हसन, जिला जन सम्पर्क पदाधिकारी कन्हैया कुमार, सब विभागक कार्यपालक अभियंतागण, सहायक अभियंतागण तथा अन्य संबंधित पदाधिकारीगण उपस्थित छलाह।