राजद पर संबित पात्राक तंज, लालटेन मे आब नहि तेल आ ने बाति, एक लोटा जल सँ राजदक राजनीतिक तर्पण होयब निश्चित

0
897

पटना, मिथिला मिरर : बिहार विधानसभा चुनाव केँ ल’ भाजपा अपन जोर लगा देलक अछि। चुनाव केँ देखैत पैघ नेता सभक बिहार दौरा शुरू भ’ चुकल अछि। पार्टी पूरा चुनावी रंग मे रंगल जा रहल अछि। पार्टिक राष्ट्रीय अध्यक्ष जेपी नड्डा, बिहार चुनावक प्रभारी भूपेंद्र यादव आ महाराष्ट्रक पूर्व मुख्यमंत्री देवेन्द्र फडणविस सेहो बिहार दौरा क’ चुकल छथि। हिनका सभक बाद आब भाजपाक राष्ट्रीय प्रवक्ता संबित पात्रा सेहो बिहार मे पार्टीक पक्ष मे माहौल बनेबा लेल आयल छथि।

बिहार मे राजनीतिक बयानबाजी बढ़ी चुकल अछि। पटना पहुँचल भाजपाक राष्ट्रीय प्रवक्ता संबित पात्रा विपक्षी दल पर हमलावर देखना गेलाह। पात्रा महागठबंधनक प्रमुख घटक दल राजद पर हमला करैत कहलाह जे राजदक लालटेन मे नै आब तेल अछि आ ने प्रताप त’ फेर कोना लड़त चुनाव। एतबे नहि इशारा मे कहलनि जे एक लोटा जल सँ राजदक राजनीतिक तर्पण होयत। पितृपक्ष चलि रहल अछि एहि सँ नीक समय की भ’ सकैत अछि। जाहि गठबंधन मे राजकुमार आ राजकुमारीक लड़ाई आपस मे लड़ल जा रहल होई ओहि पर टिप्पणी  करब  ठीक नहि। संबित पात्रा कहलनि जे 2020 के चुनाव मे एनडीए पुनः एकबेर दू तिहाई बहुमत सँ बेसी सीट पर जीत दर्ज करत। बिहार चुनाव मे विपक्ष केँ किछु हैसियत नै अछि। लालू यादव सजायाप्ता छथि। तेजस्वी त’ मात्र ट्वीटर बॉय छथि।

मालूम होयत जे बिहार विधानसभा चुनावक चुनावी साल मे भाजपा अपन बात जनता धरि पहुँचेबा लेल कोनो कसरि छोड़य नै चाहैत अछि। एही कड़ी मे पूरा राज्य भरि मे 70 जगह पर संवाददाता सम्मेलन क’ पार्टी प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी द्वारा बिहार लेल कएल काजक लेल धन्यवाद कार्यक्रम क’ रहल अछि।